मटिहानी गान | Shakti bhoomi matihani | Matihani Municipality
SURAJ SAGAR SURAJ SAGAR
37 subscribers
276 views
9

 Published On Aug 4, 2023

लेखकः- अशोक दत्त
***मटिहानी गान****
भेल छलैन्हि मटकोर जानकीक से पावन ई घाम
विरजा नदी सखी सीयाजीके बसथि अही ठाम
उत्तर वाहिनी नदीक जलधारा बहए जाहि स्थान
शक्तिभूनि एहि मटिहानीके शत्-शत् करी प्रणाम

अयोध्यासँ आएल श्रीरामक बरियात कएल जतए विश्राम
मध्यमा परिक्रमाक बास स्थल मटिहानी पूण्य घाम
साओन मास झुलनोत्सव हुए सब साल धुमधाम
शक्तिभूमि एहि मटिहानीकें शत्-शत् करी प्रणाम

तस्मैया बाबा खन्ती गाडल, जत' मूस बिलाडि पछाडल
तत' बसथि लक्ष्मी-नारायण, राजगुठीक सम्मान पाओल
विजयोत्सव दशहाराक डोला भेटत ने दोसर ठाम
शक्तिभूमि एहि मटिहानीकें शत्-शत् करी प्रणाम

अछि हिन्दु-मुस्लिम बीच जत' अनुपम सद्भाव पहिचान
तस्मैया बाबा पीर बाबा पूज्य एत' ई अछि घरा महान
घाघर- बिरजाक सडगम स्थल आ लक्ष्मी सागर जहि ठाम
शक्तिभूमि एहि मटिहानीकें शत्-शत् करी प्रणाम

राजकीय संस्कृत माध्यमिक विद्यालय नेपालक सबसँ पुरान
साहित्य ज्योतिष न्याय व्याकरण आर पढाबे वेद-पुराण
देव कार्य आ पितृकार्यक भेटए जतए अनुपम ज्ञान
शक्तिभूमि एहि मटिहानीके शत्-शत् करी प्रणाम
******************************************************************
#matihani #maithilisong

show more

Share/Embed